सभकेर सुधि अहाँ लै छी हे अम्बे मैथिलि भजन लिरिक्स - MadhurBhajans मधुर भजन
सभकेर सुधि अहाँ लै छी हे अम्बे
हमरा किए बिसरै छी हे।।
थिकहुँ पुत्र अहींकेर जननी
से त अहाँ जनै छी हे
एहन निष्ठुर किए अहाँ भेलहुँ
कनिको दृष्टि नहि दै छी हे।।
क्षणक्षण पलपल ध्यान करै छी
नाम अहींकेर जपै छी हे
रैनिदिवस हम ठाढ़ रहै छी
दर्शन बिनु तरसै छी हे।।
छी जगदम्बा जग अवलम्बा
तारिणि तरणि बनै छी हे
हमरा बेरि किए ने तकै छी
पापी जानि ठेलै छी हे।।
सभकेर सुधि अहाँ लै छी हे अम्बे
हमरा किए बिसरै छी हे।।
गायक प्रेषक रुपेश चौधरी।
7004825279
sabhker sudhi aha lechi hai ambe lyrics